पृष्ठ:विद्यापति ठाकुर की पद्यावली.djvu/९४

विकिस्रोत से
यह पृष्ठ अभी शोधित नहीं है।

________________


विद्यापति । राधा ।

निवि बन्धन हरि किय कर दूर । एह पय तोहर मनोरथ पूर ॥२॥ हेरने कओन सुख न बुझ बिचारि । बड़ तुहु ढीठ बुझल बनमारि ॥४॥ हमरे शपथ ज हेरह मुरारि । लहु लहु तब हम परब गारि ॥६॥ बिहर से रहास हेरले कोन काम । से नहि सहवहि हमर परान ॥८॥ कहाँ नहि शुनिय एहन परकार । करय विलास दीप लइ जार ॥१०॥ परिजन सुनि सुनि तेजब निशास । लह लहू रमह परिजन पास ॥१२॥ भनइ विद्यापति एहो रस जान । नृप शिवसिंह लखिमा बिरमान ॥१४॥ राधा । १७२ सुनह नागर निविबन्ध छोर । गठिते नहि सुरत धन मार। सुरतक नाम सुनल हम आज । न जानिए सुरत करय कोन काज । सुरतक खोज करव जहाँ पॉो । घरे कि अछय नहि सखिरे सुधाओं ॥ धेर एकु माधव सुन मझु बानि । सखि सञ खोजि मागि देव आनि । विनति करय धनि मागे परिहार । नागरि चतुरि भन कविकण्ठहार ॥ .